सोमवार, जनवरी 24

बस, अहींक लेल

ललाहित मन, उत्सुक नयन, करबद्घ तन आ दिल मे अहींक प्रेम अछि
मनमोहिनी सन एहि बेला मे, बस इएह एक प्रार्थना अछि
जे सोचने छी अहाँ, सबटा पाबि लेब।

अजुका दिन भेटल हैत ढ़ेरो शुभकामना
ओहि मे हमरो शामिल कय लिअए।
भूल भेल हुअए वा कोनो चूक हुअए, सबटा बिसरा दिअए
बड अनमोल अछि प्रेम अहाँक, सानिध्य रतन रज दिअए।
आइयो जदि अहाँके स्मरण हुअए
शुरू मे गप्पसप्प एकतरफा छल
अहाँ बजैत रही आ हम सुनैत रही
जहन सिलसिला दुतरफा भेल
नञि जानि ककर नजरि लागि गेल...
एकटा जलजला आयल आ छिडिय़ा गेल सपनाक माला
छिडिय़ा गेल ओ मोती, जकरा हम बड जतन सँ चुनने रही...
आइ फेर ओकरा पिरो रहल छी एहि आस मे
काश !
घुरि आओत ओ पल...
कि भरोस, काँचक घट अछि, कोनो दिन दरकि जायत
एकटा अदना सन कहानी अछि, बीच्चहि छूटि जायत
एकटा समझौता भेल छल रोशनी सँ टूटि जायत...
तइयो मन मे अछि इएह प्रार्थना
जे सोचने छी अहाँ, सबटा पाबि लेब।

जनैत छी अहाँके हमरा सँ घृणा अछि बड
शाइत, कारण हमही होइहि
मुदा जे छल, जेहन छल, राखि देलहुँ अहींक सोझाँ
अपना दिलक हाल, बिना कोनो दुराव-छिपाव केँ
तइयो कहब इएह घुरा दिअए वो पलछिन
रूसब-मनायब त दुनियाक रीत अछि
मनुहार पैघ नहि, पैघ अहाँक प्रीत अछि।
फेरो अहाँ घुरि आयब, यह हृदय सँ हकार अछि
केवल अनुग्रहक गप्प नहिं,
मनक पुकार अछि
जे सोचने छी अहाँ, सबटा पाबि लेब।

आइयो आँगुर मे होइछ जुम्बिश, मुदा सहमि जाइत छी
शाइत, अहाँक घृणाक होइत आभास अछि
डरैत छी, कहीं इहो अधिकार नहि हमरा सँ छीन ली...
मुदा, अजुका दिन स्वीकारैत अछि सभ
दुश्मन सँ सेहो शुभकामना
दुश्मन बुझि स्वीकार करी हमरो शुभकामना
अजुका दिन
जे सोचने छी अहाँ, सबटा पाबि लेब।

अहाँ मानी या नहि मानी
इ दिन हमरा लेल सदिखन यादगार रहत
जे हमरा हँसनाय सिखोलक
ओहि पल संभारल, जहन लगैत छल जिनगी ठमकल
आबि कय हमरा जिनगी सँवारल
जाहि दिन एहि भूमि पर भेल हुनक पादुर्भाव
ओ दिन हमरा वजूद सँ जुडि़ गेल
ताहिं त मन मे इएह अछि प्रार्थना
जे सोचने छी अहाँ, सबटा पाबि लेब।

शुभकामना त बहुतो भेटल हएत ओहि दन
अहाँ सफलता के उच्चतम शिखर धरि पहुँचि
सफलता कें परचम लहराबी...
मुदा, हम प्रार्थना करब एतबै
जे सोचने छी अहाँ, सबटा पाबि लेब।

नञि जानि आई कियैक हृदय फेर सँ कहैत अछि
एखनहुँ हाथ मे किछु समय बाँचल अछि
बस, एक पल जीबय चाहैत छी
समयक एहि शामियाना मे फेर एकटा
नव सपना सँजोय ली हम
घुरा दिअए ओ पल...घुरा दिअए ओ पल....


- दीप्ति अंगरीश

कोई टिप्पणी नहीं: