
प्रभात झा यानी भारतीय जनता पार्टी क ओ जानल पहचानल नाम जे कार्यकर्त्ता स लयक पार्टी के वरिष्ठ पधाधिकारी के जुवान पर अछि .पार्टी के जमीनी नेता आ समाज के हर बर्ग मे अपन संवाद स्थापित करै वाला प्रभात झा क ' ताल्लुकात ,मिथिला स रहलैंह अछि लेकिन ओ आई मध्य प्रदेश के लोकप्रिय नेता के रूप मे जानल जायत छैथ .भारतीय जनता पार्टी मे ई शायद पहिल राजनितिक प्रयोग होयत जे पार्टी कोनो राज्य मे दोसर राज्यक व्यक्ति के पार्टी अध्यक्ष नियुक्त केने हो . मध्य प्रदेश बीजेपी के कमान प्रभात झा के देल गेल अछि यानी बीजेपी शासित देश के प्रमुख राज्य मध्यप्रदेश मे पार्टी सञ्चालन आउर पार्टी क ' आधार मजबूत करबाक जिम्मेदारी प्रभात झा के देल गेलैंह अछि .मधुबनी निवासी राज कुमार झा कहैत छथि "स्वर्गीय ललित नारायण मिश्रा के बाद मिथिला मे कोनो कद्दावर नेता क आभाव रहल अछि जिनकर पहचान राष्ट्रीय स्तर पर हो ,प्रभात झा अहि परम्परा मे एकटा नव उम्मीद जगोलैंह अछि "
स्वर्गीय परमेश्वर झा आ माता अमरावती क ' पुत्र प्रभात झा क ' जन्म ४जुन १९५७ मे दरभंगा के हरिहर पुर गाम मे भेल छलैन्ह लेकिन ओ अपन अध्यन अध्यापन मध्यप्रदेश मे पूरा केलैन्ह .राजनीती शास्त्र स एम् ए आउर क़ानून के डिग्री लेलक बाद श्री झा समाज सेवा के अपन ध्येय बनौलैंह आ राजनीती मे शुचिता आ समग्रता क आधार मजबूत करबा लेल निरंतर संघर्षशील रहलाह .बीजेपी मे शायद ई पहिल नेता छैथ जे अपन सम्पति क 'व्योरा हर साल प्रस्तुत करैत छैथ .
२००८ मे पार्टी हुनकर राजनितिक दक्षता देखि आमजन क समर्पित कार्यकर्त्ता प्रभात झा के संसद मे अपन भूमिका निभेवाक मौका देल्कैंह .श्री झा राज्य सभा आउर ओकर महत्वपूर्ण कमिटी क सदस्यक रूप मे हरदम संसद के गरिमा आ आम जन के सवाल के लयक प्रयत्नशील रहलाह .
बीजेपी के शीर्ष नेता क पदचिन्ह पर चलैत श्री झा अपन जीवन क मत्वपूर्ण हिस्सा समाज सेवा आउर पत्रकारिता मे लागोउलैंह.प्रभात झा बीजेपी के मुखपत्र कमल सन्देश क संपादक बनि पार्टी क निति आउर विचार के कार्यकर्ताक बीच पहुचाबैत रहलाह अछि .लेखक के रूप मे श्री झा जन गन मन आउर दीनदयाल उपाध्याय क जीवनी सहित कतेको महत्वपूर्ण पुस्तक लिखलैंह.संघ के समर्पित कार्यकर्त्ता प्रभात झा देश सेवा आ ईमानदारी के अपन पूजी मान्लैंह त राजनीती के साध्य .ओ राजनीती के साधन माने वाला के सामने एकटा मिसाल कायम केलैन्ह जे राजनीती मे आइओ ईमानदारी आउर निष्ठां के क़द्र छैक .आइओ समाजसेवा के मूल्य छैक .प्रभात झा स संपर्क अहि ई मेल स कयल जा सकैत अछि . prabhatjhabjp@gmail.com
