सोमवार, अगस्त 24

अभागल गाम रातू बिगहा

आजाद हिन्दुस्तान के एकटा अभागल गाम छै रातू बिगहा। जे बिहार के जहानाबाद जिले के घोषी प्रखंड मे छै। एहि गाम मे लोक के खेबाक लेल रोटी नहीं भेट रहल छै। जिन्दगी के लेल गरीबी संग लड़ि रहल एहि गामक लोक आब रोटी के अभाव में मरि रहल छै। एक दिस देश आजादी के जश्न मनेबाक लेल तैयारी मे लागल छल त दोसर दिस एहि गामक लोक अपन सम्बन्धी के जरेबाक लेल कटियारी ल जेबाक तैयारी में लागल छल।

एहि गाम में पछिला एक सप्ताह में तीन गोटे के जान जा चुकल छै। मुदा ककरो अकर चिंता नहि। दलित आ गरीबक एहि बस्ती मे लोकक लेल सरकार बीपीएल कार्ड त बनबा देलकै मुदा आई तक लोक के अन्न नहि भेट सकलई।

सरकार गरीबी मेटाबई के लेल तरह दृ तरह के योजना बना रहब छै मुदा जहानाबाद के एहि गाम मे गरीब मेटा रहल छै। शुरु मे जखन गामक लोक सब एकर शिकायत एहि सं जुड़ल अधिकारी से केलकैन त कियो देखबाक लेल नहि ऐलै मुदा आब जखन गप्प लोकक मृत्यु तक पहुंच गेलै त प्रखंडक बीडीओ साहेब एकर टोह लेबाक लेल गाम पहुंचला आ अन्न नहि देबइ बला पर सख्ती सं कार्रवाई करबाक आश्वासन द रहल छथिन। खैर कार्रवाई कते धरि हेतै ई त सब गोटे नीक जकां जानै छी।

ई 62 साल के आजाद हिन्दुस्तान के सच्चाई छै जेतय लोकक लेल रोटी आइयो एकटा प्रश्न बनल छै। ई गाम हमरा सब के अपन आजादी के ऐना देखा रहल अछि। गामक बूढ़ आंखि देशक नेता सब सं प्रश्न पूछि रहल छैन जे की यैह देखबाक लेले देश के आजाद कैल गेल छलै। की गांधीजी जे आजादी के सपना देखने छलाह ओकर यैह सत्यता छै......

- अंकुर कुमार झा

कोई टिप्पणी नहीं: